
मूल समाचार पत्र कटिंग / Press Clipping
Published on 4 August 2026
Official Temple Administration
विद्यापतिधाम मे पहिल सोमवारीक तैयारी अधिकारी लेलनि जायजा
विद्यापतिधाम मंदिर में सावन की पहली सोमवारी को लेकर प्रशासनिक तैयारियां अपने अंतिम चरण में हैं। अधिकारियों ने मंदिर परिसर, प्रवेश-निकास मार्ग और बैरिकेडिंग का संयुक्त निरीक्षण करके सुरक्षा व्यवस्था, यातायात, पेयजल और चिकित्सा जैसी बुनियादी सुविधाओं का जायजा लिया। प्रशासन ने श्रद्धालुओं से नियमों का पालन करने और अफवाहों पर ध्यान न देने की अपील की है।
खबर सुनेंAudioदैनिक भास्कर स्टाइल वाचक
ऑडियो वाचक सक्रिय
शुरू करने के लिए प्ले करें:विद्यापतिधाम मे पहिल सोमवारीक तैयारी अधिकारी लेलनि जायजा
0:00वाक्य 1 / 153:10
समस्तीपुर/विद्यापतिनगर, समदिया
मिथिलाञ्चलक सनातन धरोहर सभ मे गनल जाएबला भक्त आ भगवानक मिलनस्थली विद्यापतिधाम उगना महादेव मंदिर मे श्रावण मासक पहिल सोमवारी पर भारी संख्या मे श्रद्धालुसभक आगमनकसंभावना के देखैत प्रशासनिक तैयारी आखरी चरण मे पहुँच गेल अछि। एहि सिलसिला मे शिनिदनन्यास समितिक अध्यक्ष सह अनुमंडल पदाधिकारी क्रिशन कुमार आ वरीय अनुमंडल पुलिस पदाधिकारीविवेक कुमार शर्माक नेतृत्व मे मंदिर परिसर तथा संपूर्ण मेला क्षेत्रक संयुक्त निरीक्षण कए तैयारिक समीक्षा कएल गेल। निरीक्षणक क्रम मे अधिकारी सभ मंदिर परिसर, प्रवेश आ निकास मार्ग, बैरिकेडिंग, कतारबद्ध दर्शन व्यवस्था, यातायात योजना, पेयजल, स्वच्छता, प्रकाश व्यवस्था, चिकित्सीय सुविधा, नियंत्रण कक्ष आ आपातकालीन सेवाक सूक्ष्म निरीक्षण कएलनि। जतय-जतय कनीओ कमी देखल गेल, तत्क्षण संबंधित पदाधिकारी सभ के ओकर निराकरण करबाक निर्देश देल गेल। अनुमंडल पदाधिकारीक्रिशन कुमार कहलनि जे पहिल सोमवारी सं पूर्व सभ विभाग अपन-अपन तैयारी हर हाल मे पूरा कएलअ। श्रद्धालु सभ के कोनो प्रकारक असुविधा नहि होअय, एकरा लेल दर्शन व्यवस्था के सुरक्षित, सुचारूआ व्यवस्थित बनौनाई सभ सं पैघ प्राथमिकता अछि। सभ विभाग आपसी समन्वय सं काज करथि।वरीय अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी विवेक कुमार शर्मा पुलिस पदाधिकारी सभ के संवेदनशील स्थान सभ पर विशेष सतर्कता बरतबाक, भीड़ नियंत्रकक प्रभावी व्यवस्था करबाक आ असामाजिक तत्व सभ पर कड़ी नजरि रखबाक निर्देश देलनि। हुनका अनुसार संपूर्ण मेला क्षेत्र मे पर्याप्त संख्या मे पुलिस बल तैनात रहत आ श्रद्धालुसभक सुरक्षा प्रशासनक सर्वोच्च प्राथमिकता रहत। निरीक्षणक अवसर पर अधिकारी सभ श्रद्धालु सभ आ स्थानीय लोक सभ सं बातचीत कए हुनकर समस्या सेहो सुनलनि। संबंधित विभाग सभक तत्काल आवश्यक निर्देश देल गेल, जाहि सं मेलाक दौरान कोनो प्रकारक अव्यवस्था उत्पन्न नहि होअय। प्रशासन श्रद्धालु सभ सं निर्धारित मार्गक उपयोग करबाक, बैरिकेडिंग आ कतार व्यवस्थाक पालन करबाक तथा कोनो प्रकारक अफवाह पर ध्यान नहि देबाक अपील कएलक अछि। आपात स्थिति मे नियंत्रण कक्ष अथवा ड्यूटी पर तैनात पुलिसकर्मी सं तत्काल संपर्क करबाक आग्रह कएल गेल अछि। निरीक्षणक अवसर पर बीडीओ महताब अंसारी, सीओ कुमार हर्ष, एसआई सलीम रजा, न्यास समितिक सचिव नवीन कुमार गिरि, कोषाध्यक्ष रत्न शंकर भारद्वाज, पूर्व सचिव सतीश गिरि, हरिओम गिरि, धर्मराज सिंह, प्रवीण गिरि, दीनदयाल गिरि, तीर्थनंद गिरि सहित न्यास समितिक सदस्य, पंडा समाजक प्रतिनिधि आ विभिन्न विभागक पदाधिकारी सभ उपस्थित छलाह।
